मैथिली लेखक संघक सदस्य बनबाक शर्त

१. कमसँ कम एक मौलिक पुस्तक प्रकाशित होएबाक चाही।
२. लगभग दसटा कथा/ कविता/ निबन्ध/ नाटक/ समीक्षा वा अन्य कोनो रचना मैथिली पत्र-पत्रिकामे छपल हो।
३. मैथिली पत्रिकाक सम्पादन लगभग दस अंकक केने होथि।
४. दूटा पत्रिकाक सह-सम्पादन केने होथि।
५.मैथिलीसँ कोनो अन्य भाषामे अनुवाद वा कोनो अन्य भाषासँ मैथिलीमे अनुवाद केने होथि।
६. नाटकक एक पुस्तक प्रकाशित हो वा लेखक द्वारा लिखित दूटा नाटक मंचित भेल हो।

वार्षिक सदस्यता शुल्क १२५ टाका (भा.रु.)
आजीवन सदस्यता शुल्क ११०० टाका (भा.रु.)
जिला स्तरपर सेहो संघक इकाइक गठन कएल जाएत।
शुल्क नकद वा चेक (मैथिली लेखक संघ, पटनाकेँ देय) द्वारा देल जा सकैत अछि। पटनासँ बाहरक चेकमे ३० टाका अतिरिक्त देल जाए। फॉर्म डाक द्वारा सेहो पठाओल जा सकैत अछि। फॉर्मक संग अपन दूटा फोटो अवश्य पठाउ।

सदस्यता फॉर्म (शीघ्र अपलोड कएल जाएत।)